Featured post

कक्का औ / शिव कुमार झा 'टिल्लू'

सिबू मरसएब बड़ मरखाह छथि
छक्का छोड़ौलनि कक्का औ
दाँत कीचि दुनू भौं सिकुड़ाबथि
हाँथमे नरकटिक सटक्का औ...
भूगोलक पहरि संस्कृत वचै छथि
क्षणे-क्षण नोंइस लऽ हाँफी छिकै छथि
पंचतंत्र पर करथि टिटम्भा
विष्णुशर्मा सँ नमछर खम्भा
बरहर गाछ तर गदहा बना कऽ
पाँछासँ मारथि धक्का औ...
जखन कोनो छन्दक अर्थ पुछै छी
कहै छथि कुकुर पर लेख लिखें रौ
कहू तँ कोना हम एक्के पहरिमे
रंग-बिरंगक बयना सीखू
हाँथ मचोरि पीआठ पर देलनि
बज्जर सन दू मुक्का औ...
मुरुखे रहब आ महिस चराएब
कहियो नहि ओहि इसकुल जाएब
एहन राकस सँ जान छोड़ाउ
भरि जिनगी अहँक गुण गाएब
बजै छी किछु जौं नजरि झुका कऽ
खिसियाँबथि कहि भूतक्का औ...

Comments